उदयपुर जिला
उदयपुर | |
---|---|
देश | नेपाल |
प्रदेश | पुर्वाञ्चल |
अञ्चल | सगरमाथा |
भौगोलिक अवस्थिति | तराई |
गाउँपालिका सङ्ख्या | ४० |
नगरपालिका सङ्ख्या | ३ |
सदरमुकाम | गाईघाट |
क्षेत्रफल | |
• कुल | २०६३ किमी२ (७९७ वर्गमाइल) |
जनसङ्ख्या (२०११[१]) | |
• कुल | ३,१७,५३२ [१] |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय) |
क्षेत्रीय सङ्केत | ०३५ |
मुख्य भाषासभ | नेपाली, मैथिली |
वेबसाइट | ddcudayapur.gov.np |
(नेपाल सम्बन्धी लेखक अंश) |
प्रशासनिक विभाजन |
---|
नेपाल पोर्टल हिमालय पोर्टल |
उदयपुर जिला नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक सगरमाथा अञ्चलक मध्य भागमे अवस्थित अछि। ई जिला महाभारत पर्वत श्रृङ्खलासँ चुरे पर्वतमालाधरिक भू-भाग समेटने अछि । एकर कुल क्षेत्रफल २०६३ वर्ग किलोमिटर रहल अछि । क्षेत्रफलक हिसाबसँ ई जिला नेपालक २७अम, पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक चारिम आ सगरमाथा अञ्चलक दोसर स्थानमे पडएत अछि। देशक सबसँ पैग सिमेन्ट उद्योग "उदयपुर सिमेन्ट उद्योग" अहि जिलामे अछि ।
जिलाक इतिहास
[सम्पादन करी]पहिले उदय नाम करल राजा ई जिलामे शासन करैक कारण ई जिलाक नाम उदयपुर रहल गएल किम्बदन्ती सुनल जाएत अछि । वि.स. २०२८ सालसँ आगा ई जिलाक सदरमुकाम हालक पञ्चावती गाविसमे रहल उदयपुरगढी नामक ठाममे छल । विसं २०२८, जेठ ९ गतेसँ महेन्द्र राजमार्गक कदमाहासँ २७ कि.मि उत्तर गाईघाट नामक स्थानमे सदरमुकाम रहल अछि ।
भौगोलिक अवस्थिति
[सम्पादन करी]- अक्षांश:- २६ डिग्री २६' ३९" सँ २७ डिग्री १' १०" उत्तर
- देशान्तर:- ८६ डिग्री ०' ९" देखि ८७ डिग्री १' ०" पूर्व
- सिमाना:- पूर्व-सुनसरी आ धनकुटा, पश्चिम-धनुषा आ सिन्धुली, उत्तर-भोजपुर, खोटाङ आ ओखलढुङ्गा, दक्षिण-सिरहा आ सप्तरी
- क्षेत्रफल:- २०६३ वर्ग किलोमिटर
- औसत लम्बाई:- .... उत्तर– दक्षिण
- औसत चौडाई:- ..... पूर्व– पश्चिम
- भौगोलिक अवस्था: भित्री मधेश
- सदरमुकाम:- गाईघाट
जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत उदयपुर जिला कऽ नक्सा
[सम्पादन करी]निर्वाचन आयोग (नेपाल) द्वारा निर्धारण कएल गेल, जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत उदयपुर जिला कऽ नक्सा नीचा देल गेल अछि। [२]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ १.० १.१ Household and population by districts, Central Bureau of Statistics (CBS) Nepal
- ↑ निर्वाचन आयोग नेपाल सङ्ग्रहित २०१४-०६-१८ वेब्याक मेसिन, निर्वाचन आयोग नेपाल कऽ आधिकारिक वेबसाइटमे उपलब्ध नक्सा.
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे उदयपुर जिलासँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |